Skip to content

नमस्ते माइन्डफुलनेस कार्यक्रममे अहाँक स्वागत अछि।

नमस्ते माइन्डफुलनेस कार्यक्रम दक्षिण एशियाली समुदायक लोकसभक लेल एकटा सहज, सांस्कृतिक रूप सँ संवेदनशील आ प्रमाण-आधारित माइन्डफुलनेस कार्यक्रम अछि। ई कार्यक्रम दैनिक जीवनक तनाव, चिन्ता आ भावनात्मक कठिनाइसभ सँ नीक जकाँ सामना करए मे सहायता करैत अछि। नियमित अभ्यासक माध्यम सँ वर्तमान क्षण पर सजग ध्यान देब, अपनाप्रति दयाभाव विकसित करब आ मानसिक तथा शारीरिक स्वास्थ्यकेँ सुदृढ़ बनाबए मे सहयोग भेटैत अछि।

एहि वेबसाइट पर अहाँ कार्यक्रमक जानकारी, अभ्यासक अडियो सामग्री, ह्यान्डआउट तथा अन्य उपयोगी स्रोत अपन भाषामे प्राप्त कऽ सकैत छी। हमर आशा अछि जे ई यात्रा अहाँक लेल शान्ति, सन्तुलन आ आत्म-कल्याण दिस एकटा सार्थक कदम सिद्ध होयत।

६-सप्ताहक माइंडफुलनेस कार्यक्रम

सत्र १: माइंडफुलनेस सँ परिचय
माइंडफुलनेस की अछि आ एकर अभ्यास किएक करब?

सत्र २: जतय छी, ओतय रहब सीखू
वर्तमान क्षण सँ जुड़बाक अभ्यास

सत्र ३: कथा बनाबयवाला हमर मन
मन द्वारा बनाओल गेल कथा आ वास्तविक अनुभवकेँ बुझबाक अभ्यास

सत्र ४: दयालुता आ करुणाक विकास
अपने आ दोसर लोक प्रति दयालु बनेबाक अभ्यास

सत्र ५: चीजसभके जेकाँ अछि, ओहिना स्वीकार करबाक तत्परता
अनुभवकेँ खुलल मन सँ स्वीकार करबाक अभ्यास

सत्र ६: आगाँ बढ़ैत
दैनिक जीवनमे माइंडफुलनेसकेँ जारी रखबाक अभ्यास